Skip to content
Home » Baba Baijnath Hum Aael Chhi Bhikhariya lyrics

Baba Baijnath Hum Aael Chhi Bhikhariya lyrics

Baba Baijnath Hum Aael Chhi Bhikhariya lyrics :-> jai bholenath | mahadev ke bhajan | shiv bhajan | shivji bhajan |shanker bhajan

Baba Baijnath Hum Aael Chhi Bhikhariya lyrics

बाबा बैद्यनाथ हम आयल छी भिखरिया
अहाँ के दुअरिया ना
बाबा बैद्यनाथ हम आयल छी
भिखरिया अहाँ के दुअरिया ना
अइलों बड़ बड़ आस लगायल
होहियो हमरा पर सहाय
अइलों बड़ बड़ आस लगायल
होहियो हमरा पर सहाय
एक बेरी फेरी दियौ
हो एक बेरी फेरी दियौ
गरीब पर नजरिया,
अहाँ के दुअरिआ ना

हम बाघम्बर झारी ओछायब
डोरी डमरू के सरियाएब
हम बाघम्बर झारी ओछायब
डोरी डमरू के सरियाएब
कखनो झारी बुहराब
हो कखनो झारी बुहराब
बसहा के डगरिया,
अहाँ के दुअरिया ना

हम गंगाजल भरी भरी लायब,
बाबा बैजू के चढ़ायब
हम गंगाजल भरी भरी लायब,
बाबा बैजू के चढ़ायब
बेलपत चन्दन हो बेलपत चन्दन
चढ़ायब फूल केसरिया,
अहाँ के दुअरिया ना

कतेक अधम के अहाँ तारलों,
कतेक पतित के उबारलों
कतेक अधम के अहाँ तारलों,
कतेक पतित के उबारलों
बाबा एक बेर फेरी दियौ
हमरो पर नजरिया, अहाँ के दुअरिया ना
बाबा बैद्यनाथ हम आयल छी
भिखरिया अहाँ के दुअरिया ना

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

error: Content is protected !!